प्राथमिक विद्यालय बाहाटोल उर्दू में शिक्षिका रंजना वर्मा केँ स्थानांतरण उपरांत भावभीनी विदाई।
प्राथमिक विद्यालय बाहाटोल उर्दू में शिक्षिका रंजना वर्मा केँ स्थानांतरण उपरांत भावभीनी विदाई।

जे टी न्यूज, खानपुर:
समस्तीपुर/खानपुर–: प्रखंड अंतर्गत प्राथमिक विद्यालय बाहाटोल उर्दू में कार्यरत शिक्षिका रंजना वर्मा के स्थानांतरण उपरांत विद्यालय परिसर में समारोहपूर्वक विदाई समारोह आयोजित कएल गेल। विभागीय निर्देशानुसार बिहार राज्य में शिक्षकक स्थानांतरण प्रक्रिया जारी अछि, जाहि क्रम में शिक्षिका रंजना वर्मा के स्थानांतरण बेतिया, पश्चिमी चंपारण भेल अछि। ओ वर्ष 2023 सँ विद्यालय अध्यापक पद पर सेवा दैत आबि रहल छलिह।
विदाई समारोहक अध्यक्षता प्रधान शिक्षक अशोक कुमार साहू कएलनि, जखन कि मंच संचालन मो. मेहंदी हसन द्वारा कएल गेल। कार्यक्रमक शुरुआत में विद्यालय परिवार द्वारा मिथिला परंपरा अनुसार शिक्षिका रंजना वर्मा के चादर, पाग, माला आ अंगवस्त्र दए सम्मानित कएल गेल। संगहि कार्यक्रम में आएल अतिथियन के सेहो पाग-माला सँ स्वागत कएल गेल।समारोह के संबोधित करैत प्रधान शिक्षक अशोक कुमार साहू आ लाल बाबू कहलनि जे शिक्षक समाजक निर्माता छथि आ हुनका ऊपर समाज निर्माणक बड़ी जिम्मेदारी अछि।
एहि निर्माण में समाज आ अभिभावकक सहयोग अत्यंत जरूरी अछि। ओ कहलनि जे जँ अभिभावक शिक्षकक सहयोग आ सम्मान करैत छथि, तऽ समाजक बेहतर निर्माण संभव अछि आ विकसित राष्ट्रक सपना साकार भऽ सकैत अछि।एहि अवसर पर श्रीपुर गाहर पश्चिमी संकुलक प्रधानाध्यापक डॉ. संजय कुमार, मृत्युंजय ठाकुर, रेणु कुमारी, मनोज पासवान, रंजीत राम, छोटन पासवान, अमरजीत कुमार, महेश तांती, श्याम कुमार, शिक्षक मोहम्मद शकील अख्तर अंसारी, परवेज आलम, मो. शाहिद सहित अन्य शिक्षक आ गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।कार्यक्रमक अंत में सुमेरा आ अनुराधा द्वारा भावपूर्ण विदाई गीत प्रस्तुत कएल गेल, जाहि सँ माहौल भावुक बनि गेल। विद्यालय परिवार शिक्षिका रंजना वर्मा के उज्ज्वल भविष्यक कामना करैत हुनका विदा कएलक।



