शादीपुर पुल नीचे बागमती नदी सँ फाइनेंस कर्मी के शव बरामद, इलाका मे हड़कंप
शादीपुर पुल नीचे बागमती नदी सँ फाइनेंस कर्मी के शव बरामद, इलाका मे हड़कंप

जे टी न्यूज, समस्तीपुर :
खानपुर थाना क्षेत्र के शादीपुर पंचायत अंतर्गत शादीपुर बागमती नदी पुल नीचे सँ एक माइक्रो फाइनेंस कंपनी मे काज करए वाला कर्मी के शव बरामद भेलाक बाद पूरा इलाका मे अफरा-तफरी मचि गेल। शव भेटला के खबर फैलैतहि आसपास के गाम सँ हजारों लोक घटनास्थल पर जमा भ’ गेल।
सूचना मिलैतहि खानपुर थाना के पुलिस मौके पर पहुंचि शव केँ नदी सँ बाहर निकाललक। बाद मे मृतक के पहचान बेगूसराय जिला के वीरपुर गाम निवासी रवि कुमार भारती के रूप मे भेल। मृतक के भाई बतौलनि जे रवि एलटी/माइक्रो फाइनेंस कंपनी मे फील्ड कर्मी छल। परिजन अनुसार रवि बीते छह दिन सँ लापता छल आ एहि संबंध मे खानपुर थाना मे गुमशुदगी के आवेदन सेहो देल गेल छल। रवि 10 जनवरी के संझा करीब 7 बजे सँ गायब छल।
मृतक के भाई के आरोप अछि जे रवि के हत्या क’ शव नदी मे फेंकल गेल अछि। ओ एक व्यक्ति पर संदेह सेहो जतौलनि। घटना सँ आक्रोशित लोक खानपुर–बाघोपुर मुख्य सड़क पर स्थित शादीपुर पुल जाम क’ देलक। बांस-बल्ली आ वाहन ठाढ़ क’ आवागमन पूरा तरह बाधित कएल गेल, जँए सँ राहगीर लोक के भारी परेशानी भेल। कतेको लोक वैकल्पिक कच्चा-पगडंडी रास्ता सँ जाए-आए पर मजबूर रहल।
स्थानीय लोक के आरोप अछि जे नियमित गश्ती न’ होए के कारण अइसन घटना हो रहल अछि। खास बात ई अछि जे पुलिस चौकी सँ महज 300 मीटर दूरी पर शव मिलल, जँए सँ कानून-व्यवस्था पर गंभीर सवाल उठ रहल अछि। आक्रोशित लोक वरीय पुलिस अधिकारी के मौके पर बुलावे के मांग कएलनि आ शव पुल पर रखि प्रशासन विरोधी प्रदर्शन कएलनि। खबर लिखे जाए धरि शव पोस्टमार्टम लेल न’ भेजल गेल छल।
शव रखि सड़क जाम, गिरफ्तारी के मांग

रवि कुमार भारती के मौत सँ आक्रोशित ग्रामीण लोक शादीपुर पुल पर शव रखि जमकर प्रदर्शन कएलनि। खानपुर–बाघोपुर मुख्य मार्ग करीब चार घंटा धरि जाम रहल। बाद मे प्रदर्शनकारी शव ल’ क’ घटनास्थल सँ करीब दू किलोमीटर दूर रोसड़ा–हथौड़ी मुख्य मार्ग स्थित मेघपत्ती–मननपुर तीन-बतिया पहुंचि ओतहु सड़क जाम क’ देलक। मांग छल जे वरीय पुलिस पदाधिकारी मौके पर पहुंचि ठोस आश्वासन देथिन।
परिजन द्वारा हत्या के आरोप, सुसाइड नोट पर सवाल
परिजन माइक्रो फाइनेंस कंपनी के मैनेजर पर हत्या के आरोप लगौने छथि। मृतक के भाई रणधीर कुमार बतौलनि जे रवि आ मैनेजर के बीच लंबे समय सँ विवाद चल रहल छल। एक सुसाइड नोट आ सोशल मीडिया पर वीडियो भेटला के बात सामने आयल अछि, लेकिन परिजन के कहना अछि जे ई जबरन बनवायल गेल छल। सुसाइड नोट 8 जनवरी के बतायल जा रहल अछि, जबकि शव 16 जनवरी के बरामद भेल, जँए सँ मामला अउरो संदिग्ध बनैत अछि।
**पुलिस के बयान**
खानपुर थाना प्रभारी शिवपूजन कुमार बतौलनि जे प्रथम दृष्टया मामला आत्महत्या जेकां प्रतीत हो रहल अछि। पुलिस के पास सुसाइड नोट अछि आ फेसबुक लाइव मे आत्महत्या के बात सेहो सामने आयल अछि। तैओ पुलिस हर बिंदु पर गंभीरता सँ जांच क’ रहल अछि आ परिजन के आवेदन अनुसार आगे के कार्रवाई कएल जाएत। घटना के सूचना मिलैतहि थाना प्रभारी समेत पुलिस बल मौके पर पहुंचि शव बाहर निकालने के कार्रवाई कएलनि।
खबर लिखे जाए धरि पुलिस आक्रोशित लोक के समझावे मे जुटल छल आ स्थिति नियंत्रण मे रखए लेल खानपुर आ हथौड़ी थाना के पुलिस लगातार गश्त क’ रहल छल।


